गढ़ीमाई मन्दिरकेँ विश्वसम्पदामे सूचीकृत करबाक प्रयास करबालेल सरकारसँ मांग

[mashshare]

मधेशदृष्टि
बारा ।

आम जनता पार्टी (आजपा) क अध्यक्ष एवं पूर्वमन्त्री प्रभु साह गढ़ीमाई मन्दिरकेँ विश्वसम्पदा सूचीमे सूचीकृत करेबाक लेल विशेष प्रयास क देबाक लेल सरकारसँ मांग केने छैथ ।

महागढ़ीमाई नगरपालिका बरियारपुरमे रहल गढ़ीमाई मन्दिरमे आइ आजपा जिला कमिटीद्वारा आयोजित कार्यक्रममे ओ ऐतिहासिक, धार्मिक एवं पर्यटकीय क्षेत्रक रूपमे प्रसिद्ध अइ मन्दिरकेँ विश्वसम्पदा सूचीमे सूचीकृत करबाक मांग केलैन।

अध्यक्ष साह ताहिक लेल सब पक्षसँ सहयोग जरूरी रहल धारणा रखलैन । ‘विश्वप्रसिद्ध गढीमाईकेँ विश्वसम्पदा सूचीमे सूचीकृत कर पड़त हमरासभके मांग अइछ । अइलेल सब कियोके प्रयास आवश्यक अइछ। सरकारके अइमे विशेष पहल कर पड़त,’ ओ कहलैन ।

विश्वप्रसिद्ध गढ़ीमाईक पाँच वर्षीय मेला अगिला अगहनमे आयोजित भ रहल अइछ । स्थानीयस्तरमे एकर तैयारी तीव्र रूपमे भ रहल अइछ । लाखौँ दर्शणार्थी सहभागी होबएबला अइ मेलाक व्यवस्थापनलगायत काजमे सेहो सङ्घीय सरकारद्वारा सहयोग करब आवश्यक रहल साह बतौलैन ।

कार्यक्रममे अजपाके वरिष्ठ उपाध्यक्ष उपेन्द्र साह, उपाध्यक्षसभ अशोक लामा, बिल्टू यादव, महासचिब त्रिभुवन साह, उपमहासचिब चन्द्रभुषण साह तथा नगरप्रमुख उपेन्द्र यादव, गढ़ीमाई ट्रस्टक अध्यक्ष रामचन्द्र साहलगायत वक्ता गढ़ीमाईक महिमाबारे चर्चा केने छलैथ ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Back to top button